सफल रहल चारिम मिथिलाक्षर साक्षरता सम्मान समारोह

0
963

दिल्ली, मिथिला मिरर : 19 अगस्त 2018, मिथिलाक्षर जागरूकता हेतु समर्पित संस्था मैथिली पुनर्जागरण प्रकाश द्वारा आयोजित चारिम मिथिलाक्षर साक्षरता सम्मान (दीक्षान्त) समारोह दीनदयाल उपाध्याय मार्ग राजेन्द्र भवन, दिल्लीमे सम्पन्न भेल। पं. अजय नाथ झा शास्त्री जे मुम्बइ प्रवासमे छथि हुनक मिथिलाक्षर प्रशिक्षण आ प्रसार केर एक परिकल्पना जे 2013 सँ एक प्रयासक रूपमे प्रारम्भ भेल आ  2019 अबैत-अबैत सैकड़ो लोक प्रशिक्षु भ’ लाभान्वित भेलाह अछि जकर साक्ष्य उपस्थित मैथिलजन छलाह। सामाजिक संजालक सदुपयोग करैत व्हाट्सएप, फेसबुक वा वेबसाइट आदिक माध्यमसँ शास्त्री जी द्वारा निर्मित समूहक सहयोगसँ विस्तृत फलक बनेबामे सफल रहल अछि। कार्यक्रमसँ तीन दिन पूर्व भारतक महान सपूत श्रद्धेय अटल बिहारी वाजपेयी जीक निधन उपरान्त संस्था द्वारा मासो पूर्व कार्यक्रमक पूर्व-निर्धारित रूपरेखामे तत्क्षण बदलाव करैत कृतज्ञ मैथिल समाज द्वारा वाजपेयी जीक प्रति श्रद्धांजलिक प्रमुखता दैत सम्मान वितरण प्रक्रियाक मात्र औपचारिकता पूरा कएल गेल। वाजपेयीकेँ स्मरण करैत दू मिनटक मौन राखि सामूहिक श्रद्धांजलि देल गेल। आमंत्रित अतिथि लोकनि द्वारा दीप प्रज्ज्वलन, वाजपेयी जीक फोटो पर पुष्प अर्पण आ तकरा बाद जय-जय भैरविक सामूहिक गानक उपरान्त अतिथि सम्मान संग कार्यक्रम प्रारम्भ कएल गेल। मिथिलाक्षर लिपिक प्रचार-प्रसार ओ प्रशिक्षणक संग-संग बहुतो गोटे विभिन्न सॉफ्टवेयरक सहायतासँ एकर फॉन्ट निर्माणमे सेहो लागल छथि। विगत 16 बरखसँ निरंतर एहि फाउंट पर विनय झा द्वारा उल्लेखनीय काज कएल जा रहल अछि। उक्त अवसर पर हुनका द्वारा ऑनलाइन पठाओल सन्देश सार्वजनिक रूपे सभ गोटेकेँ सुनाओल गेल। फॉन्ट निर्माणक अनुभवक संग विनय झा द्वारा एकर प्रचार-प्रसारमे किछु तथाकथित फॉन्ट ज्ञाता द्वारा भ्रामक प्रचार आ एकरा रोकबाक खड्यंत्रक सेहो उल्लेख कएल गेल। कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि मणिकान्त झा (आकाशवाणी), योगानन्द झा, दीपक झा, डॉ. भुवनेश्वर प्रसाद गुरमैता, डॉ. शेफालिका वर्मा, डॉ. कैलाश कुमार मिश्र एवं विजय चन्द्र झा आदि लोकनि द्वारा वाजपेयी जीक मैथिली आ मिथिला हेतु योगदान आ निजी सम्बन्धक अनुभव साझा करैत संस्था द्वारा मिथिलाक्षर प्रशिक्षण आ प्रचार-प्रसारक एहि अद्भुत डेग हेतु भूरि-भूरि प्रसंशा केलनि। दिल्ली आ लगीचक क्षेत्र मे मिथिला-मैथिली हेतु समर्पित किछु सक्रिय समाजसेवी एवं साहित्यसेवी लोकनिकेँ सेहो विशिष्ट सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल। सी.एम. साइंस कॉलेज दरभंगाक  मैथिली विषयक प्रोफेसर डॉ. सत्येन्द्र झा द्वारा लिखित स्वप्नमे इन्द्रधनुष नामक कविता संग्रह पोथीक लोकार्पण सेहो कएल गेल। मंच संचालनमे राधे भाइ आ हुनक सहयोगी केर रूपमे राघव जी आ आशीष कुमार मिश्रक भूमिका सेहो नीक रहलनि। ज्ञात होकि मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान प्रशिक्षण विभिन्न श्रेणीमे विभक्त अछि जेना अभ्यर्थी लोकनि जखन 3 महिनाक पाठ्यक्रम पूरा करैत छथि त’ हुनका प्रवीणक उपाधि भेटैत छनि फेर आगाँ जाय ओ मार्गदर्शक बनै छथि तकरा बाद निर्देशक वा संरक्षक। प्रमाण पत्र वितरणक क्रममे प्रशस्ति पत्र, स्मृति चिन्ह आ डोपटा दय हिनका लोकनिक मनोवर्धन कएल गेल। अन्तमे मणिकान्त झा रचित समदाउन जेकि वाजपेयी जीक प्रति समर्पित छल ताहि संग औपचारिक समापनक घोषणा भेल। स्थानीय आयोजन समितिमे ब्रह्मानन्द झा, पं. कौशल झा, अरुण कुमार मिश्र, हरिमोहन झा, रामबाबू सिंह, शशि भूषण जी, अनिल मिश्र, पंकज कुमार कर्ण, अभिषेक जी आदि लोकनिक संग मैथिली-भोजपुरी अकादमी, अखिल भारतीय मिथिला संघ आ ब्रेन कोठी, दिल्लीक सहयोगसँ कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न भेल।

 

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here