सैनिक प्रभात यादव भेलाह शहीद, पूरा सैनिक सम्मानक संग देल गेलनि अंतिम विदाई

0
368

दरभंगा, मिथिला मिरर : अपन माँकेँ बिजली करेंटसँ बचेबामे सैनिक प्रभात यादवक जान चलि गेलनि। सैनिक प्रभातकेँ पूरा सैनिक सम्मान संग रविदिन 12 अगस्तकेँ  हुनक पैतृक गाम दहौड़ामे अंतिम संस्कार कएल गेलनि। मुजफ्फरपुर आर्मी कैंपसँ सूबेदार संत कुमार पांडेयक नेतृत्वमे आएल सेनाक जवान सभ जखने तिरंगामे लपेटल अर्थी कन्हापर उठौलक सभक आँखिमे नोर भरि गेल। सेनाक जवान सभ श्मशानमे हुनका अंतिम सलामी देलनि। शव यात्रामे विधायक ललित यादव, विधायक फराज फातमी, मुखिया रजी आलमक संग सैकड़ों लोकसभ शामिल भेलाह मुदा सूचना भेटलाक बादो स्थानीय प्रशासनिक अधिकारी आ थाना पुलिस एहिमे शामिल नहि भेल। एहि पर सूबेदार संत कुमार पांडेय नाराजगी जतौलनि अछि। सैनिक प्रभातके छोट भाई पंकज मुखाग्नि देलखिन। सैनिक प्रभात मूल रुपसँ दरभंगा जिलाक राघोपुर पंचायत अंतर्गत दहोड़ा गामक निवासी छलाह। सैनिक प्रभात यादव 13 आरआर बटालियन जम्मू-कश्मीरमे पोस्टेड छलाह। 10 अगस्तके हुनक बेटाके जन्म भेल छलनि जकरा देखबा लेल 11 अगस्तकेँ गाम आयल छलाह। ग्रामीण सभ कहैत छथि जे प्रभात समुच्चा गामक दुलरुआ छलाह आ अपनासँ छोट बच्चा सभक लेल ओ प्रेरणा श्रोत छलाह। प्रभातके निधनसँ समुच्चा गाम शोकाकुल अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here