फेर पलटल दिल्लीसँ फारबिसगंज जा रहल बस, तीन यात्रीक मौत आ 17 चोटिल

0
391

दरभंगा, मिथिला मिरर : मुजफ्फरपुर जिलाक अहियापुर थाना क्षेत्रमे दिल्लीसँ फारबिसगंज जा रहल बस पलटलासँ तीन टा यात्रीक मौत भ’ गेलनि संगहि 17 यात्री घायल भ’ गेलाह। सभ घायल यात्रीक इलाज एसकेएमसीएचमे चलि रहल अछि। बताओल जा रहल अछि जे ड्राईवरकेँ नींद एबाक कारण इ घटना घटल। जानकारीकें  मुताबिक अहियापुर थाना क्षेत्रक गरबा चौक लग NH-57 पर दिल्लीसँ फारबिसगंज जा रहल बस (UP 63 AT 3160) पलटलासँ तीन यात्रीक मौत घटनास्थलपर भ’ गेलनि आ 17 यात्री घायल भ’ गेलाह। सभ घायल यात्रीकेँ तत्काल एसकेएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल, जतय 12 घायलक इलाजक बाद छुट्टी भेट गेलनि  आ अन्य घायलक इलाज चलि रहल अछि। हादसाकेँ सूचना भेटिते जिलाधिकारी समेत अन्य  उच्चाधिकारी मौकापर पहुँचि राहत कार्य शुरू केलाह। जिलाधिकारी बतौलनि जे मृतककेँ घरवलाके चारि-चारि लाख रुपैया मुआवजा देल जायत आ  घायल सभक इलाज सरकारी खर्चा पर कएल जा रहल अछि। एसकेएमसीएच पहुँचि जिलाधिकारी घायल सभक हालचाल पुछलाह आ घटनाक जानकारी लेलथि। ड्राइवरकेँ नींद आबि जेबाक कारण बस अनियंत्रित भ’ गेल आ सड़क कातक खाधिमे खसि पड़ल, एहि हादसामेँ एकटा मृत यात्रीक पहचान मधुबनीकेँ फूलपरास निवासी इंदू देवीक रूपमे भेल आ अन्य दू  मृतकक पहचान लेल जिलाधिकारी बसक बुकिंग लिस्टमे देखबाक आदेश देलनि अछि। बतादी जे एहि सालमे दिल्लीसँ बिहार जायबला बसक इ पाँचिम  दुर्घटना अछि ,सरकारकेँ एहि दिशामे किछु दिशा निर्देश जारी करबाक चाही आ बहुत सख्ती सँ पालन हेबाक चाही जेहिसँ अनावश्यक दुर्घटनापर लगाम लगाओल जा सकय।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here