कोसी नदी उफान पर, दर्जनों गाममे घुसल बाढ़िक पानि

    0
    318

    मधेपुरा, मिथिला मिरर : लगातार भ’ रहल मुसलाधार वर्षासँ  कोसी समेत ओकर तीनटा सहायक नदी सेहो उफान पर अछि। एहि कारण कोसी इलाकाकेँ दर्जनों गामक हाल बाढ़िक पानिसँ बेहाल अछि। चौसा प्रखंडक तीनटा पंचायत टापूमे बदलि गेल अछि। एमहर फुलौतसँ  बहयवला घघरी नदीक जलस्तर बढलासँ फुलौत पूर्वी, पश्चिमी आ मोरसंडा पंचायतक सड़कमार्गक  संपर्क टूटि गेल अछि। प्रशासन द्वारा आवागमनक लेल नावक इंतजाम कएल गेल अछि। जँ वर्षा एहि तरहेँ  होइत रहल त’ कोसी आ ओकर सहायक नदी आओर विकराल रूप धारण क’ सकैत अछि। बाढ़ि प्रभावित इलाकसँ पलायन शुरू भ’ गेल अछि। ग्रामीण लोकनि प्रशासन पर आरोप लगवैत कहलाह जे प्रशासन नाव छोड़ि किछु आओर  व्यवस्था नहि केलक अछि। टापूनुमा गामसँ निकलवाक एकमात्र सहारा नाव  अछि । कोसी इलाकामे चारि दर्जनसँ बेसी गाममे बाढ़िक पानि घुसि गेल अछि जाहिसँ  लगभग 10 हजारसँ ऊपर लोक सभके सभ तरहेँ दिक्कत भ’ रहल छनि। फुलौतक घघरी नदी सेहो मूसलाधार वर्षाक बादसँ उफान पर अछि जाहि कारण जन जीवन प्रभावित भ’ रहल अछि। एहनमे प्रशासनकेँ ग्रामीण सभक लेल राहत सामग्रीक पूर्ण व्यवस्था करबाक चाही।

     

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here