मुजफ्फरपुरक घटना पर बिहारक राज्यपाल जतेलनि चिंता

0
235

पटना, मिथिला मिरर : मुजफ्फपुर बालिकागृह यौन शोषण मामलामे बिहारक राज्‍यपाल सत्यपाल मलिक मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमारकें चिठ्ठी लिख चिंता जतेलनि अछि। राज्‍यपाल अपन चिठ्ठीमे एहि घटनाकें हृदयविदारक आ मानवताक लेल  कलंक बतेलाह संगे मुख्यमंत्रीकें किछु महत्वपूर्ण सुझाव सेहो देलैथ।राज्‍यपाल श्री मलिक एहि मामला पर चिंता व्‍यक्‍त करैत राज्‍य सरकार द्वारा सीबीआई जांचक अनुशंसाक  सराहना सेहो कएलनि अछि। सत्यपाल मलिक  बच्चा-बुच्ची आ जनानीक उत्पीड़न मामलामे जल्दी निदानक लेल फास्ट ट्रैक कोर्टक गठनक सुझाव मुख्यमंत्रीकें सेहो देलखिन। बालक-बालिका गृह आ नारी अल्पावासक सतत मॉनिटरिंग लेल सुझाव देलैथ। राज्यपाल एहि तरहक गृह सुधार लेल बुद्धिजीवी वर्ग सभसँ हुनक राय सेहो आमंत्रित कएलनि अछि। राज्यपाल आशा व्यक्त कएलनि जे राज्य सरकार मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौनशोषण सन गंभीर मामलामे उचित कदम उठाओत, जाहिंसँ बालक-बालिका आ नारी सुधारगृहमे भयमुक्त वातावरणमे ठीकसँ रहि सकय। राज्यपाल सत्यपाल मलिक अपन एहि सुझावसँ केंद्रीय कानूनमंत्री रविशंकर प्रसाद आ पटना हाई कोर्टक चीफ जस्टिसकें सेहो अवगत करेलनि अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here