देवहार स्कूलक बच्चा सभमे खेलक प्रति देखल गेल जागरूकता

0
896

मधुबनी |  मिथिला मिरर : सरकारी स्कूल निरंतर सरकारी उपेक्षाक शिकार रहल अछि जकर परिणाम  अछि जे स्कूलमे खेल प्रतिभा दम तोड़ि  रहल अछि। एहन मे जँ कोनो स्कूलमे खेल प्रतिभा निखरि रहल होय तँ निश्चित रूपेँ  बहुत नीक बात थिक। मुदा एहि तरहक प्रतिभाके निखारबाक लेल सरकारी मदद बहुत जरूरी होइत अछि। एहनमे जँ बाबूबरही प्रखंडक देवहार गामक मुक्तेश्वर जनता उच्च विद्यालयमे खेलसँ  जुड़ल तमाम तरहक योजना चलि  रहल अछि, एहिसँ खुशीक बात की भ’ सकैत अछि। एहि विद्यालयमे खेलक वास्ते एकटा मैदानक सँग खेल सामाग्री सेहो उपलब्ध अछि। स्कूलक बच्चा सभमे खेल प्रतिभा कुइट-कुइट क’ भरल अछि। सभ साल स्कूलक बच्चा लोकनि राज्य स्तरीय खेल-कूद प्रतियोगितामे  भाग लैत छथि  आ सफलता पबैत छथि। पछिला साल सेहो बचियासभ खो-खो टूर्नामेंटमे भाग लेने छलीह आ पटना धरि  पहुँचल छलीह। आब सरकार ओहि विद्यालयक छात्र मनीष झा, गौरव, अशोक, दीपक पासवान, बैजंती माला, रंजना, नेहा, गुंजा, सपना, निशा, मधु सहित दर्जनों बच्चासभकेँ  सम्मानित कएलक अछि। खेल शिक्षक राम बहादुर प्रसाद कहैत छथि जे खेलमे प्रोत्साहन हेतु अंतर विद्यालय खेल प्रतियोगिता समय-समयपर आयोजित होइत रहबाक चाही। बच्चासभक लेल पर्याप्त मात्रामे खेल सामग्री आ उपयुक्त खेलक मैदान भेनाई बहुत जरूरी छैक। खेल सभक लेल सरकारकेँ  नया तरीकासँ  योजना बनेबाक  चाही। संसाधन आ मैदानक अभावमे बच्चा सभके खेलक प्रति जागरूक केनाइ कठिन कार्य अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here