द्वादश ज्योतिर्लिंग जकाँ विख्यात छथि भीमशंकर महादेव

0
834

सुपौल । मिथिला मिरर : जिला मुख्यालयसँ  35 किलोमीटर उत्तर-पूर्व आ राघोपुर रेलवे स्टेशनसँ 7 किमी दक्षिण गणपतगंजक धरहरा गाममे स्थित अछि भीमशंकर महादेवक  स्थल। भीम शंकर महादेवसँ संबंधित कतेको लोकोक्ति अछि। एहन कहल जायत अछि जखन पांडव अज्ञातवासक लेल विराटनगर, नेपाल जाइत छलाह ओहि  क्रममे महावली  भीम एत’ रुकि भगवान शिवक आराधना कएने  छलाह। ओहि समयसँ लोकसभ एहि जगहकेँ  भीमशंकरक  नामसँ जनैत छथि।  एहि मंदिरक इतिहासक कुनो पुख्ता प्रमाण नै भेटैत अछि मुदा एहि मंदिरक अस्तित्व महाभारत कालसँ मानल जाइत अछि। एहि मंदिरक पुनरुद्धार 1930 ई.मे कएल  गेल छल। सावन महिनामे कमरथुआ सभ कोसी बराजसँ जल बोझि पैदल चलैत एहि मंदिर धरि आबि जलाभिषेक करैत छथि। एहन मान्यता अछि जे एहि मंदिरमे जलाभिषेक कएलासँ सभ मनोरथ पूर्ण होइत अछि। सामान्य दिनमे सेहो सभ सोमवारी क’ भीड़  देखल जाइत अछि। सावन महिनामे भीड़के देखैत सुपौल प्रशासन सेहो सुरक्षा केर नीक इंतजाम केलक अछि। मंदिर समिति सेहो मंदिरकेँ  नीक जकाँ  सजौललक अछि। काल्हि  लगभग 10 हजार श्रद्धालु जलाभिषेक करैत बम बम भोले केर जयकारासँ भक्तिमय वातावरण बनेलाह।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here