ठनका खसलासँ तीन गोट विद्यार्थीक मौत

0
275

बेगूसराय | मिथिला मिरर : तेघड़ा (बेगूसराय), रघुनंदनपुर गाममे ठनका खसलासँ तीनटा बच्चाक दर्दनाक मौत भ’ गेल। घटना रवि दिनक अछि एहि घटनाक बाद पूरा गाममे कोहराम मचल अछि। एहि घटनाक सूचना भेटिते पुलिस सेहो मौका-ए-वारदात पर पहुँचि कार्रवाई केलक। रघुनन्दनपुर गाममे महिबाबा स्थान लग एकटा पीपड़क गाछ तर तीनू बच्चा खेलाइत छल। अचानक तेज वर्षा होवय लागल आ ओहि क्रममे ठनका खसल जाहिसँ तीनू बच्चा घायल भ’ गेल। आननफाननमे बच्चा सभके अस्पताल ल’ जायल गेल मुदा अस्पताल पहुँचयसँ पहिले तीनू बच्चा दम तोड़ि देलक। घटनाक सूचना भेटिते घटनास्थलपर तेघड़ा थानाध्यक्ष, भगवानपुर प्रखंड विकास पदाधिकारी आ अंचलाधिकारी पहुँचि घटनाक जायजा लेलाह आ मृत शरीरकेँ कब्ज़ामे ल’ पोस्टमार्टमकेँ लेल बेगुसराय पठा देलक। अधिकारीगण मृतक परिवारकेँ कबीर अंत्येष्टि योजनाक अंतर्गत तीन-तीन हज़ार रुपैया तत्काल देलथि संगे आपदा विभाग चारि-चारि लाख रुपैया देबाक घोषणा केलक अछि। एहि घटनाक बाद पूरा गाम शोकाकुल अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here