जगत गुरू शंकराचार्य, विंदेश्वर पाठक, भोगेंद्र शार्मा सहित अन्य भेलाह मिथिला मिररक कवर पेज पर शामिल।

0
361

दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला मिरर पत्रिकाक जनवरी 2018 अंक केर कवर पेज विधिवत रूपें शनिदिन जारी क’ देल गेल। मिथिला मिरर पत्रिकाक कवर पेज पर दुनू कातक मिथिलाक चर्चित व्यक्ति, संस्था ओ घटनाक्रमकें एहि सूचीमे शामिल करबाक कोशिश काएल गेल अछि। 2017मे चर्चित व्यक्ति, संस्था ओ घटनाक्रमकें एहि सूचीमे शामिल काएल गेल अछि। एकरा लेल मिथिला मिरर आॅनलाइन एकटा वोटिंग सेहो करौने छल संगहि वोटिंगसँ आएल समस्त नाम पर विचार सेहो केलक।
मुख्य पृष्ट पर जे व्यक्ति संस्था ओ घटनाक्रम शामिल हेबामे सफल रहलथि ओहिमे गोवर्धन पीठक शंकराचार्य, जगत गुरू निश्चलानंद सरस्वीत, सिमरियामे कुंभक आयोजनकर्ता स्वामी चिदात्मन जी महाराज, सुलभ इंटरनेशनलक संस्थापक डाॅ विंदेश्वर पाठक, भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्डक कार्यवाहक सचिव अमिताभ चौधरी, विश्व बैंककें निदेशक सरोज झा, मिथिला पेंटिंगक लेल 2017मे पद्मश्री सँ सम्मानित बौआ देवी, बिहार कैबिनेटमे पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा। संदीप विश्वविद्यालयकें संस्थापक डाॅ. संदीप झा, मधेपुरासँ सांसद एंव जन अधिकार पार्टी (लो.) केर संयोजन राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव।
पाग बचाउ अभियानक अगुआ आ शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा, नेपाल सद्भावना पार्टीकें प्रमुख राजेन्द्र महतो, बाॅलीवुड अभिनेता नरेन्द्र झा, जनता दल यूनाटेडक महासचिव संजय कुमार झा, भारतक पहिल महिला फायटर जेट पायलट भावना कंठ, विद्यापति परिसर सहरसाक परिकल्पना केनिहार भोगेन्द्र शार्मा ‘‘निर्मल’’ 2017मे कोनो मैथिली वीडियो जे सभसँ बेसी विश्वभरिमे वारयल भेल ओहिमे सँ एक रहल हास्य कलाकर आ माॅडल प्रियंका प्रियदर्शनी, भारत नामी-गिरामी हास्य कविमे सँ एक शंभू शिखर, पूर्णियाकें जिलाधिकारी प्रदीप कुमार झा, राइजिंग स्टार गायन प्रतियोगिताकें उपविजेता मैथिली ठाकुर, फिल्म निर्देशक (नेपाल) पूर्णेंदू झा, मधुबनी केर जिलाधिकारी शिर्षत कपिल अशोक।
संगीतकार प्रवेश मल्लिक, मधुबनीक बहुचर्चित हत्याकांडक नैंसी झा, आईसीएआई अधिकारी जीतेन्द्र झा, प्रद्युम्न ठाकुर, मिथिला स्टूडेंट यूनियन अर्थात (एमएसयू), मैथिली लोक रंग अर्थात (मैलोरंग) आ मैथिली साहित्य महासभा अर्थात (मैसाम)कें जगह देल गेल अछि। एहि सूचीमे शामिल समस्त व्यक्ति आ संस्थाकें मिथिला मिरर टीमक दिससँ हार्दिक बधाइ आ मंगलकामना। संगहि समस्त मैथिल एवं विश्व जनमानसकें अंग्रेजी नव वर्ष 2018 केर हार्दिक मंगलकामना।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here