परीक्षा परिणाममे गड़बड़ीकें विरुद्ध छात्रक प्रदर्शन

    0
    245

    दरभंगा, मिथिला मिरर: छात्र जदयू 25 सूत्री मांगक लेल सोमदिन लनामिविविमे जोरदार प्रदर्शन केलक। डिग्री वन 2016 के रिजल्टमे गड़बड़ी सं उत्तेजित छात्र 29 मई तक निदान नहि निकलबा पर 30 मई सं विविकें ठप्प करेबाक बात कहलनि। आक्रोशित प्रदर्शनकारी छात्र विविके अध्यक्ष छात्र कल्याण डॉ. भेला चौरसिया व लोक सूचना पदाधिकारी डॉ. नवीन कुमार अग्रवालकें बर्खास्त करबाक मांग पर अड़ल छल। 

    छात्र नेता कुलसचिव, परीक्षा नियंत्रक सहित बहुतो संकायाध्यक्षकें सेहो हटेबाक मांग कए रहल छल। छात्र जदयूकें लनामिविवि इकाईकें अध्यक्ष आसिफ कमाल, राष्ट्रीय कार्यकारणी सदस्य डॉ. मो. कलाम व प्रदेश उपाध्यक्ष जोहा सिद्दीकीके नेतृत्व आंदोलित छात्रके उग्र प्रदर्शनक कारण घंटों विविमे परीक्षा विभागक काम-काज बाधित रहल।

    मौका पर भेल सभामे शिवेंद्र कुमार, अली अख्तर, गौरव सिंह राणा, कमलेश मंडल, यशवंत कुमार, ओम प्रकाश, तनवीर आलम, रेहान, शाहबाज खान, सोनू, मो. तारीफ रहमानी, डॉ. कृपानाथ महापात्र, गोलू पासवान, राहुल गुप्ता, मनोज कुमार सिंह,नंदन कुमार, हरेकृष्ण प्रसाद आदि अपन विचार रखलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here