रोमांचक मुकाबलामे मुंबई रचलक इतिहास, एक रन सं जीतलक तेसर बेर खिताब

    0
    209

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: रविदिन आइपीएल 10कें रोमांचक फाइनल मुकाबला राइजिंग पुणे सुपरजाएंट आ मुंबई इंडियंसकें बीच खेलल गेल। अहि मुकाबलामे मुंबईक टीम 1 रन सं जीत कए तेसर बेर अहि ख़िताबकें जीतए वला पहिल टीम बनल। अहि मुकाबलामे मुंबईकें कप्तान रोहित शर्मा टॉस जीतकए पहिने बल्लेबाज़ीक फैसला केलनि। खिताबी मुकाबलामे 130 रनक चुनौतीक पीछा करैत पुणेक टीम 20 ओवरमे 6 विकेट पर 128 रन बना सकल।

    जसप्रीत बुमराह पुणेकें ओपनर राहुल त्रिपाठी (03) कें एलबीडब्ल्यू आउट कए मुंबईकें पहिल सफलता दिएलनि। 44 रन पर खेला रहल अजिंक्य रहाणे मिचेल जॉनसनक गेंद पर पोलार्ड द्वारा कैच आउट भेलाह। महेंद्र सिंह धौनीकें जसप्रीत बुमराह आउट कए पुणेके एकटा और झटका देलनि। अहिकेँ बाद मनोज तिवारी (07) मिचेल जॉनसनक गेंद पर पोलार्डकें कैच दए पवेलियन गेलाह। अगिले गेंद पर स्टीव स्मिथ (51) रन बनाकए अंबाती रायडूकें कैच दए देलनि। मैचक आखिरी गेंद पर पुणेकें जीतक लेल 4 रन चाही छल, मुदा 2 रन बनाकए डेन क्रिस्चिन रन आउट भए गेलाह।

    मुंबई दिस सं सब सं अधिक 47 रन क्रुणाल पांड्या बनेलनि। ओतहि पुणेक जयदेव उनादकट आ एड्म जंपा दू-दू विकेट लेलनि। मुंबईक टीम निर्धारित 20 ओवरमे 08 विकेट पर 129 रन बनने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here