25 मई कए निकलत बिहार इंटर परीक्षाक रिजल्ट

0
323

पटना, मिथिला मिरर: बिहार शिक्षा विभागक सचिव जितेंद्र श्रीवास्तव दिस सं बिहार बोर्डकें कहल गेल जे, समिति द्वारा लेल गेल परीक्षाक रिजल्ट 31 मई तक घोषित कए देल जाए। विशेष परिस्थितिमे समितिकें जूनक दोसर सप्ताह तक रिजल्ट घोषित करबाक समय देल गेल अछि।

समिति सूत्रक अनुसार, 15 जून तक इंटर, मैट्रिक आ सिमुलतला प्रवेश परीक्षाक रिजल्ट घोषित भए जाएत। अहि संबंधमे समितिकें विभागक दिस सं पत्र पठाओल गेल अछि। समितिक दिस सं इंटर रिजल्टक बाद सप्लीमेंटरीक परीक्षा लेल जाएत।

इंटर रिजल्ट निकललाक दोसर दिन सं सप्लीमेंटरीक परीक्षाके लेल आवेदन भरवाओल जाएत। ज्ञात हो कि इंटर परीक्षाके ऑनलाइन आवेदन लेबाक कारण सैकड़ाे परीक्षार्थी आवेदन नहि भरने छल। छात्रक साल बरबाद नहि हुए ताहि लेल समिति सप्लीमेंटरीक परीक्षामे नियमित परीक्षार्थीके सेहो आवेदन भरबाक मौका देत।

समितिक दिस सं बार कोडिंग सं रिजल्टक मिलान भए रहल अछि। समिति सूत्रक अनुसार तीन सं चारि दिन रिजल्ट तैयार करबामे लागत। टॉपर लिस्टमे शामिल छात्रक उत्तर पुस्तिका दोबारा जांच करवाओल जा रहल अछि। रिजल्ट 25 मई कए निकलबाक संभावना अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here