दोकान पर दावेदारीक लेल पितयौत भाइमे झड़प

    0
    197

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शुक्रदिन साँझमे सीतामढ़ी मेन रोड स्थित किरण चौकक समीप कॉलेज परिसरके एकटा दोकानक लेल एकहि परिवारक दू गोटे द्वारा अपन-अपन दावा करबाक दौरान विवाद उत्पन भए गेल। सूचना पर पहुंचल नगर थाना पुलिस मामलाकें शांत करेलक। विवादित दोकानमे ताला लगा कए चाभी थानाके हवाले कए देल गेल।

    मेहसौल चौक स्थित खिलाफत बाग निवासी मो. फहीम एवं ओकर पितयौत भाई मो. निजामक बीच पिछला किछु दिन सं दोकानक लेल विवाद चलि रहल छल। शुक्रदिन मो. फहीमकें कियो कहलक जे, ओकर भाई मो. निजाम दोकानक सब माल बेचकए भागबाक फिराकमे अछि। अहिकें बाद विवाद बढ़ि गेल।

    मो. फहीमकें अनुसार मुजफ्फरपुर जिलाक औराई थानाक चंदवारा निवासी अमन कुमार सं दोकान खरीद कए अपन चचेरा भाईकें चलेबाक लेल देने छल, मुदा एक वर्ष बादो ने त मालक टाका देलक आ ने किराया। अहि बात पर दुनूमे विवाद शुरू भेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here