लालू यादवक मॉल पर केंद्र सरकार लगेलक प्रतिबंध

    0
    253

    पटना, मिथिला मिरर: भारत सरकारकें पर्यावरण वन एवं जलवायु परिवर्तन मंत्रालय पटनाके बेली रोड पर सगुना मोड़ स्थित लालू यादव परिवारक बनि रहल चर्चित मॉलकें निर्माण पर तत्काल प्रभाव सं रोक लगा देलक अछि। 750 करोड़क लागत सं 115 कट्ठा जमीनमे लालूके बेटा उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादवकें बनि रहल बिहारक ई सब सं पैघ मॉल अछि। 

    भाजपा दफ्तरमे आयोजित प्रेस कांफ्रेंसमे पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि जे, स्टेट इन्वायरमेंट इंपेक्ट एसेसमेंट अथारिटीके स्वीकृति बिना मॉलक निर्माण काज शुरू करेबा पर पर्यावरण, वन एवं जलवायु मंत्रालय तत्काल प्रभाव सं निर्माण काज बंद करबा आ यथास्थिति बना रखबाक आदेश देलक अछि। 

    भाजपा नेता कहलनि जे, पर्यावरण मंत्रालय 15 मई कए प्रदूषण नियंत्रण परिषद्के सदस्य सचिव, पर्यावरण विभागक प्रधान सचिव आ मालक निर्माण करा रहल मेरिडियन कंस्ट्रक्शन इंडिया लिमिटेडके अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक व राजद विधायक अब्दुल दोजानाकें निर्देश देलक अछि जे, तत्काल निर्माण काज रोकल जाए।

    मोदी कहलनि जे, 7.66 लाख वर्ग फीटमे ई मॉल बनि रहल अछि। पर्यावरण संरक्षण अधिनियम, 1986 के तहत दू लाख वर्ग फीट सं अधिक निर्माणक लेल सियाक अनुमति जरूरी अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here