मोटरसाइकिलक संग तीन गोट लुटेरा गिरफ्तार

    0
    243

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर पुलिस अंतर जिला मोटरसाइकिल लुटेरा गिरोहकें गिरफ्तार केलक अछि। पुलिसकें ई सफलता जिलाकें दलसिंहसराय इलाका सं भेटल अछि। मामलाक खुलासा करैत एएसपी संतोष कुमार कहलनि जे, दलसिंहसरायमे मोटरसाइकिल लूटक घटनाकें बढोतरीक मद्देनजर दलसिंहसराय थानाध्यक्ष नरेश पासवानक नेतृत्वमे एकटा टीम बनाओल गेल छल। गठित टीम शहरमे गुप्त सूचनाकें आधार पर गोसपुरमे छापेमारी करैत दू टा अंतरजिला मोटरसाइकिल लुटेरा गिरोहक सदस्यकें गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस अपराधी लग सं तीनटा लूटक मोटरसाइकिल बरामद केलक अछि। पुलिस दलसिंहसराय थाना क्षेत्रक राहुल कुमार आ विभूतिपुरक राजीव कुमारकें लूटक तीनटा मोटरसाइकिल आ एकटा मोबाइल फोनक संग गिरफ्तार केलक अछि। पकडल गेल दुनू मोटरसाइकिल लुटेरा दलसिंहसरायकें अलावा सीमावर्ती जिलाक अलग-अलग थाना क्षेत्रमे चोरीक घटना आ लूटकें अंजाम दैत छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here