समान वेतनक मांगकें लए होमगार्डक जवान केलक अर्धनग्न प्रदर्शन

    0
    226

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समान काजक बदले समान वेतनक मांगकें लए 60’म दिन सेहो होमगार्ड जवानक हड़ताल जारी रहल। मांगकें लए आंदोलन कए रहल होमगार्डक जवान बृहस्पति दिन समस्तीपुर समाहरणालयकें समक्ष अर्धनग्न प्रदर्शन केलक।

    अहि सं पूर्व होमगार्ड संघ कार्यालय सं निकलि कए विभिन्न रस्ता सं होइत जवान सब कलेक्ट्रेट पहुंचकए अर्ध्य नग्न प्रदर्शन केलक। अहि मौका पर बिहार गृह रक्षा वाहिनी संघक जिला अध्यक्ष कामेश्वर राय कहलनि जे, यदि मांग नहि मानल गेल त पटनामे आत्मदाह करबाक लेल बाध्य होंबए पडत।

    ओतहि, संघकें जिला सचिव कैलाश झा कहलनि जे, हड़तालक आए 60म दिन अछि, मुदा बिहार सरकार किछु नहि कए रहल अछि। यदि मांग नहि मानल गेल त होमगार्डक जवान समस्तीपुर सं पटना तक आंदोलन करत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here