चलैत ट्रेनमे यात्रीकें गोली मारि कए फरार

    0
    213

    मिथिला मिरर: बिहारक मुंगेर जिलामे ट्रेन सं यात्रा कए रहल एकटा वृद्ध व्यक्तिकें अपराधी गोली मारि देलक अछि, हादसा सुल्तानगंज आ जमालपुरक बीच चलैत कुली ट्रेनमे भेल अछि। सुल्तानगंज सं जमालपुर आबि रहल कुली ट्रेन सं आबि रहल एकटा यात्रीकें अज्ञात अपराधी गनगनिया स्टेशनक समीप गोली मारिकए घायल कए देलक। गोली वृद्ध व्यक्तिके पीठ पर लागल अछि। घटनाक जानकरी भेटितहि जमालपुर स्टेशन जीआरपी पुलिस स्टेशन पर घायल यात्रीकें सदर अस्पताल मुंगेरमे भर्ती करेलक जतय डॉक्टर इलाजमे जुटल अछि।

    जमालपुर थाना क्षेत्रक मुंगरोडा मोहल्ला निवासी यात्री अम्बिका साह कहलनि जे, ओ सुलतानगंज-जमालपुर कुली ट्रेन सं जमालपुर आबि रहल छलाह तखनहि गनगनिया स्टेशनक समीप ट्रेनमे अज्ञात अपराधी द्वारा गोली मारल गेल।

    ओ कहलनि जे, पैघ पुतौह आ हमर मकानमे रहि रहल पूर्वक किरायेदार प्रमोद कुमार जमीन दाखिल करबाक लेल हमर हत्याक साजिश रचलक अछि आ ओ हमला करेलक। जमालपुर जीआरपी कहलक जे, मामलाक जांच कएल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here