बिहारमे अन्हर आ पानि सं तबाही, छह गोटेक मौत

    0
    204

    पटना, मिथिला मिरर: मंगलदिन भोरे मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर सहित बिहारक अन्य हिस्सामे आएल अन्हर-बिहाड़ि भारी तबाही मचा देलक अछि। अहि तूफानमे माल, फसलक संग-संग जानक नुक्सान सेहो भेल अछि।

    अलग-अगल जिला सं भेटल जानकारीके अनुसार एखन धरि छह गोटेकेँ जान जा चुकल अछि। मसौढ़ीमे गाछ खसला सं जतए एकटा व्यक्तिक मौत भेल ओतहि औरंगाबादमे वज्रपात सं एक आदमीकेँ जान चलि गेल। लखीसरायमे दू गोटेकेँ जान चलि गेल। गाछक ठारी टूटला सं दू गोटेक मौत भए गेल।

    समस्तीपुरमे स्कूलक गाड़ी पर देबाल खसला सं ड्राइवरक दर्दनाक मौत भए गेल। दोसर दिस मुंगेरमे सेहो आंधी सं ताड़क पेड़ खसला सं एकटा महिलाक मौत भए गेल। आंधी-पानी सं भेल नुकसानक आंकलनमे आपदा विभाग लागल अछि। तेज आंधीके कारण पटना सं दानापुरकें जोड़ए वला पीपा पुल आ गायघाटक पीपा पुल सेहो टूटि गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here