पूर्णियामे 9 क्विंटल गांजाक संग तीन गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    186

    पूर्णियां, मिथिला मिरर: बिहार एसटीएफकें गांजा तस्करकें खिलाफ मुहिम लगातार जारी अछि। एसटीएफकें टीम शनिदिन पूर्णियाक जीरो माईल पर छापेमारी कए 9 क्विंटल गाजा बरामद केलक अछि। अहि दौरान टीम नौ सौ किलो गांजाक संग तीन गोट तस्करकें सेहो गिरफ्तार केलक अछि।

    पुलिस ओहि ट्रककें सेहो जब्त केलक अछि, जाहिमे गांजाक तस्करी भए रहल छल। संगहि एकटा मोटरसाइकिल सेहो जब्त कएल गेल अछि। गिरफ्तार तस्करके नाम मोहम्मद अमीरूद्दीन, प्रणव मालकार आ सीबू सरकार बताओल जा रहल अछि।

    अहिमे सं एकटा प्रेम मालकार त्रिपुराक रहए वला अछि। फिलहाल गिरफ्तार तस्करकें पूर्णिया पुलिसक हवाले कए देल गेल अछि। पुलिसक संग-संग नारकोटिक्स विभाग मामलाक छानबीन कए रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here