लालू-शहाबुद्दीनकें ऑडियो क्लिप सं गरमाएल राजनीति, नीतीश कुमारक इस्‍तीफाक मांग तेज़

    0
    257

    पटना, मिथिला मिरर: एकटा निजी टीवी चैनल पर राजद सुप्रीमो लालू यादव आ बिहारक बाहुबली नेता मो. शहाबुद्दीनक बातचीतक ऑडियो क्लिप देखेलाक बाद बिहारमे फेर सं राजनीति तेज भए गेल। चैनल पर खबरि अबितहि भाजपा बिहारक सत्‍ताधारी महागठबंधन पर हमलावर भेल त ओतहि जेडीयू मामलाक लए सवाल बयान दए रहल अछि। विपक्षक पैघ नेता सुशील मोदी मामलाकें लए मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार सं इस्‍तीफाक सेहो मांग केलनि अछि। ओ कहलनि जे, टेप प्रमाणित केलक अछि जे, ई खेल पहिने सं भए रहल छल। लालू आ शहाबुद्दीनक सांठगांठक बात अहि टेप सं साबित भेल अछि।

    मोदी कहलनि जे, नीतीश कुमारमे यदि हिमम्त हो त वो गठबंधन तोड़ि देथि। मोदी लालू पर तुरंत कार्रवाई करबाक मांग सेहो केलनि। दोसर दिस राजद नेता जगदानंद सिंह मामलामे लालू आ अपन पार्टीक बचाव करैत कहलनि जे, शहाबुद्दीनक लालू सं बातचीत करब त गलत अछि, मुदा हम शहाबुद्दीनकें पार्टी सं नहि निकालब। ओ पार्टीक नेता छथि आ रहताह।

    विपक्षक हमलाक बीच जदयू अपन प्रतिक्रिया दैत अहि मामलाक जांचक बात कहलक अछि। बिहारक मंत्री जय कुमार सिंह नीतीश कुमारक छविकें लए कोनो समझौता नहि करबाक बात कहलनि। अहि प्रकरण पर महागठबंधनक नेता सब चुप छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here