महादलित परिवारकें मंदिरमे पूजा करबा सं रोकल गेल

    0
    213

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सकरा थाना क्षेत्रक विशनपुर बघनगरी गाममे बियाहक मौका पर महादलित परिवारकें अछूत कहि मंदिरमे पूजा करबा सं रोकि देल गेल, संगहि मारापीटी सेहो कएल गेल। जाहिमे एक महिला सहित दू गोटे घायल भेल अछि। घायलक इलाज सकरा रेफरल अस्पतालमे कराओल जा रहल अछि। घटनाक विरोधमे टोलक सब महादलित परिवार सकरा थाना पहुंच कए प्राथमिकी दर्ज करेबाक लेल आवेदन देलक अछि। सकरा थानेदार योगेंद्र प्रसाद कहलनि जे, घटनाक शिकायत भेटल अछि। प्राथमिकी दर्ज कए मामलाक छानबीन शुरू कए देल गेल अछि।

    पुलिसकें देल गेल आवेदनमे मिंटू मांझीक पत्‍‌नी उषा देवी कहलनि जे, ओ सब विशनपुर बघनगरी गामक निवासी अछि। दियरक बियाहके क्रममे अपन गाम स्थित ब्रह्मास्थान सह शिव मंदिरमे टोलक महिलाक संग पूजा करबाक लेल गेल छल। मंदिरक दरबज्जा खोलितहि गांवक श्रीनाथ मिश्रा, ओकर पुत्र अमन कुमार आ शिव कुमार मिश्रक पुत्र सहित तीन चारि गोटे आएल। ओ सब जातिसूचक शब्दक प्रयोग करए लागल।

    ओ सब कहलनि जे, हमरा सबकेँ मंदिरमे प्रवेश केला सं देवता छुआ जेताह। तकरा बाद बेल्ट आ डंडा सं मारब शुरू कए देलक। जाहिमे हम अचेत भए गेलहुँ आ हमर पति मिंटू मांझी तथा रिश्तेदार अजय मांझी घायल भए गेल। एम्हर, मुखिया अर्चना कुमारी घटनाक निंदा करैत एकरा महादलित पर अत्याचार बतेलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here