11 हजार वोल्टक तारकें चपेटमे आएल बस, 23 गोट बरियाती घायल

    0
    234

    मिथिला मिरर: बिहारक गयामे बरियाती सं भरल एकटा बस हाई टेंशन तारक चपेटमे आबि गेल। बसमे 35 गोट बरियाती सवार छल, जाहिमे सं 23 गोट बरियाती झुलसि गेल। घटना जिलाक बांके बाजारक अछि। हादसामे झुलसल यात्रीकें मेडिकल अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि, जतए चारि टा बरियातीक स्तिथि नाजुक अछि। जानकारीके अनुसार गयाके बांके बाजार प्रखंडक बैताल गाम सं डुमरियाके बरबाडीह बरियाती जा रहल छल। अहि दौरान बस सगड़िहा गामक समीप 11 हजार वोल्टक बिजलीकें तारक चपेटमे आबि गेल।

    अहि घटनामे बसक छत पर बैसल 23 टा बरियाती झुलसि गेल। रातिमे भेल घटनाक बाद घटनास्थल पर अफरातफरी मचि गेल। घायलक चीख सुनिकए आसपासक ग्रामीण दौड़ल आ घायलकें स्थानीय अस्पतालमे भर्ती करेलनि, जंतए सं घायलकें गयाक मेडिकल कॉलेज रेफर कएल गेल।

    हादसाक शिकार भेल लोकक शरीर बहुत रास झुलसि गेल अछि। जाहिमे सं एकटा युवकक आवाज सेहो गायब अछि। घटनाक बाद बस ड्राइवर बसकें छोड़िकए फरार भए गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here