साइकिल सवारकें बचेबाक चक्करमे उलटल बस, एक गोटेक मौत दर्जनो घायल

    0
    218

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंड मुख्यालयकें भूपट्टी चौक सं आगु ततमा टोलक समीप लौकहा सं दरभंगा जा रहल दरभंगा केसरी नामक बस उलटि गेला सं साढ़े तीन महिनाक एकटा बच्चाकेँ मौत भए गेल, ओतहि दू दर्जन सं अधिक यात्री घायल भए गेल। गंभीर रूप सं घायल छह गोट यात्रीकें बेहतर इलाजक लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठाओल गेल।

    जानकारीक अनुसार, दरभंगा केसरी बस (बीआर 7 पी 2974) ततमा चौक पर एकटा साइकिल सवारकें बचेबाक क्रममे सड़क कात उलटि गेल। हादसामे बसमे यात्रा कए रहल लौकहा बाजार निवासी सबीश्ता परवीनक कोरामे बैसल साढ़े तीन महिनाक बच्चा आसिफ इकबालकें खूब चोट लागल। स्थानीय अस्पताल लए जाए काल मौत भए गेल।

    घटनाक सूचना पर स्थानीय लोकक सहयोग सं शीशा तोड़िकए बस सं यात्रीकें बाहर निकालल गेल, आ घायल यात्रीकें अस्‍पताल पहुंचाओल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here