डीलरक मनमानीकें खिलाफ ग्रामीणक हंगामा

    0
    204

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बलहा मधुसूदन पंचायतमे डीलरक मनमानीकें खिलाफ मंगलदिन स्थानीय लोक जमिकए हंगामा केलक। अहि दौरान सूचना देलाक बादो एमओके नहि एला पर लोकक तामस और बढ़ि गेल। घंटो हंगामाक बाद कोनो अधिकारीकें नहि पहुंचला पर ग्रामीणकें बैरंग वापस होबए पड़ल। डीलरक दोकान पर पहुंचल कुसमी खातून, इस्लाम मंसूरी, खैमून खातून, मरनी देवी, नजरा खातून, किरण देवी समेत दर्जनो उपभोक्ताक कहब छल जे, डीलर राम पुकार चौधरी वितरणमे मनमानी एवं भेदभाव करैत अछि।

    आरोप अछि जे, अपन करीबीक बीच अनाज एव तेल वितरण कए देल जाइत अछि मुदा अन्य लोककेँ अहि सं वंचित राखल जाइत अछि। उपभोक्ताक आरोप पर मुखिया नीरो देवी, पूर्व उप प्रमुख गोविन्द राय, पंसस रानी देवीक कहब अछि जे, डीलरके अहि मनमानीक कारण पंचायतमे ओडीएफ अभियान काफी प्रभावित भए रहल अछि। रोकक बावजूद शौचालय नहि बनाबए वलाकें अनाज आ तेल देल जाइत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here