ऑल इंडिया ब्राह्मण फेडेरेशन आए मनाओत ‘जानकी नवमी’

    0
    216

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन ‘ऑल इंडिया ब्राह्मण फेडेरेशन’ दिस सं जानकी नवमी मनेबाक निर्णय लेल गेल अछि। उपरोक्त घोषणा करैत फेडेरेशनक प्रदेश अध्यक्ष उदय शंकर चौधरी कहलनि जे, रामक पूजा हुनकर जन्मभूमि सं लए पूरा भारतमे होईत अछि आ राम नवमी सेहो धूमधाम सं मनाओल जाइत अछि। परन्तु माँ जानकीक उत्पत्ति स्थल मिथिलामे कतहु जानकीक विशेष पूजा आदि नहि देखबाक लेल भेटैत अछि।

    ओ कहलनि जे, माँ जानकी मिथिलाक कण-कणमे छथि आ हुनकर अस्तित्व मैथिलक हृदयमे अछि। ओ कहलनि जे, अहि पर्वकेँ धूमधाम सं मनाओल जेबाक चाही, संगहि अहि दिन सरकारी छुट्टीक घोषणा हेबाक चाही। बिना सीताक रामक अस्तित्व नहि। चौधरी कहलनि जे, एहिबेर पूजाक शुरुआत लहेरियासराय स्थित अपन आवास सं कए संस्थाक द्वारा लोककेँ जगेबाक सन्देश देबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। अगिला बेर अहि पर्वकें धूमधाम सं मनाओल जाएत।

    अहि मौका पर सुनील कुमार मिश्रा, डा0 आनन्द प्रकाश झा, प्रभात कुमार, बमबम झा, मुकुन्द चौधरी आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here