बकाया राशिक भुगतानाक लेल आशा कार्यकर्ताक हंगामा

    0
    252

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र पूसामे मंगलदिन बकाया राशिक भुगतानकें लए आशा कार्यकर्ता जमिकए हंगामा केलनि। आशा कार्यकर्ताक अनुसार 2015 सं भुगतान नहि कएल गेल अछि। जहिया ओ भुगतानक लेल कार्यालय जैत छथि पदाधिकारी आ कर्मचारी एक-दोसर पर उदासीन रवैयाक आरोप लगाकए अपन पल्ला झाड़ि लैत अछि।

    आशाक अनुसार जहिया कहियो आशा कार्यकर्ता प्रोत्साहन राशिक विषयमे पूछैत अछि सब स्टाफ आपसमे लड़ए लागैत अछि। लेखपाल आ संबंधित अधिकारी सेहो कोनो ने कोनो बहाना बनाकए भुगतानमे अड़ंगा लगा दैत अछि।

    अहि संबंधमे प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र पूसाक प्रभारी डॉ अरुण कुमार मिश्रा कहलनि जे, 30 सं 32 प्रकारक पेमेंट देबए पड़ैत अछि, जाहिमे बहुत योजनामे आशा कार्यकर्ताकें पेमेंट भेटि गेल अछि। हालांकि ओ स्वीकार केलनि जे, कार्यालयक सेहो किछु कमी अछि, जकरा सुधारि कए जल्दिये पेमेंट कए देल जाएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here