एतए मात्र पांच हजार रुपैयामे बेचल जाइत अछि बच्चा

    0
    242

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: बिहारक एकटा एहेन इलाका जतए मात्र पांच सं दस हजार रुपैयामे बिकाइत अछि बच्चा। एतए सक्रिय बाल तस्‍कर अहि बच्चाकें पैघ शहरमे रोजगारके नाम पर लए जा बंधुआ मजदूरक काज करबैत अछि। कोसीक ग्रामीण इलाका सं बच्चाक तस्करीके लेल लए जाइत अछि। गिरोहक सदस्य परिजनकें मोट टाकाक प्रलोभन दए ई काज करैत अछि। एहेनमे बहुतो बच्चा गायब भए जाइत अछि। पिछला एक सालमे ऐहेन दू दर्जन बच्चा गायब हेबाक सूचना पुलिसकें देल गेल अछि।

    जानकारीके अनुसार सब सं अधिक दिल्ली आ पंजाबमे बाल मजदूरक मांग अछि। कम टाकामे अहि बच्चा सं अधिक काज कराओल जाइत अछि। बच्चाकेँ लए जाए काल दलाल अभिभावककें पांच सं 10 हजार रुपैया दैत अछि। दलाल द्वारा सब महिना रुपैया पठेबाक आश्वासन सेहो देल जाइत अछि।

    आर्थिक तंगीक कारण परिजन कम उम्रक बच्चाकेँ पठेबाक लेल राजी भए जाइत अछि। सूत्रक अनुसार ठेकेदार 14 सं 16 वर्ष तकके बच्चाकेँ काज करेबाक लेल अधिक उपयुक्त बुझित अछि। कोसीक ग्रामीण क्षेत्रमे एहेन ठेकेदारक गैंग पहिने सं चलैत आबि रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here