नदीमे डूबला सं दू गोट किशोरक मौत

    0
    197

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक रसलपुर गाममे बूढ़ी गंडक नदीमे स्नान करबाक दौरान दू टा किशोरक मौत भए गेल। दुनूक पहचान मो. शाहिदकें 14 वर्षीय पुत्र मो. मुमताज आ मो. जब्बारके 13 वर्षीय पुत्र मो. आफताबक रूपमे कएल गेल अछि। घटनाक संबंधमे बताओल जा रहल अछि जे, दुनू किशोर अपन किछु मित्रक संग रविदिन दूपहर स्नान करबाक लेल बूढ़ी गंडक नदी गेल छल। बाकी मित्र बाहर छल, मुदा दुनू किशोर नदीमे स्नान करबाक लेल चल गेल। अहि क्रममे ओ डूबि गेल।

    संगी सभक हल्ला सुनि कए आसपासक लोक जा इकठ्ठा भेल ता दुनु युवक डूबि गेल छल। काफी मशक्कतके बाद दुनूक लहास नदी सं निकालल गेल। सूचना पर पहुंचल थानाक पुलिस आगुक कार्रवाई शुरू कए देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here