बिहारमे एकटा और परीक्षाक पेपर लीक, व्हाट्सएप पर उत्तर भेल वायरल

    0
    305

    बिहारमे एकटा और परीक्षाक प्रश्नपत्र सार्वजनिक हेबाक खबरि अछि। रविदिन भें एसएससी एमटीएसकें (मल्टी टास्किंग स्टाफ) परीक्षा शुरू हेबा सं पहिने पेपर लीक भए गेल। दू पालीमे आयोजित अहि परीक्षामे दूनू बेर प्रश्नपत्र आउट भेल। लखीसरायमे कर्मचारी चयन आयोगक दिस सं एमटीएसकें अहि परीक्षाक सेंटर बनाओल गेल छल। पहिल परीक्षा शुरू हेबा सं किछु काल पहिने व्हाट्सएप पर प्रश्नक उत्तर वायरल भए गेल।

    एम्हर, मुजफ्फरपुर सं सेहो अहि परीक्षाक प्रश्न पत्र लीक हेबाक सुचना अछि। ओतए दोसर पालीक परीक्षा शुरू हेबा सं करीब आधा घंटा पूर्व तैयार उत्तर शीटमे हूबहू प्रश्न भेटल जे, परीक्षामे पूछल गेल। अहिमे कुल डेढ़ सौ प्रश्नक उत्तर छल। उत्तर अहि तरहे तैयार छल जे, प्रश्न पत्र कोनो सेटक हो, ओकर विकल्प देखकय जवाब देल जा सकैत छल।

    मामलाक खुलासा शहरक दून स्कूल केंद्रके किछु परीक्षार्थी द्वारा कएल गेल। ओ अहि उत्तर शीटक कारण परीक्षा केंद्र पर देरी सं पहुँचल। जाहि कारण परीक्षार्थीकेँ प्रवेश नहि देल गेल। जाहि सं परीक्षार्थी प्रश्नपत्र लिक कए देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here