भाजपा नेताक गिरफ्तारीक मांगकें लए मालेक धरना-प्रदर्शन

    0
    225

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाकपा माले हावीभौआरमे भेल घटनाक नेतृत्व करए वला भाजपाक पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर एवं अन्य आरएसएस तथा भाजपा नेताक गिरफ्तारीक मांगक लेल शनिदिन धरनास्थल पर एसएसपीक समक्ष धरना देलक। धरनामे पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुरक गिरफ्तारी आ कारवाईक मांग करैत हरपुर गामक अल्पसंख्यकके सुरक्षाक गांरटी देबाक मांग कएल गेल।

    धरनाकें संबोधित करैत भाकपा मालेक जिला सचिव बैद्यनाथ यादव आरोप लगेलनि जे, पूर्व विधायक घटनाकें अंजाम देलनि अछि। ओतहि इंसाफ मंचक प्रदेश उपाध्यक्ष नेयाज अहमद, जिला कमिटि सदस्य शिवम यादव, देवेन्द्र कुमार कहलनि जे, नीतीश सरकार अल्पसंख्यक आ दलित गरीबकें सुरक्षा देबामे नाकाम रहल अछि। अहि मौका पर प्रिन्स कर्ण, मनोज पासवान, मो. फैयाज, मो. आजम, मो. गुड्डू, मो. सलीम आदि मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here