बिहार सरकार शुरू केलक 350 रुपैयाक टूर पैकेज

    0
    203

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम सब शनि आ रविदिनक लेल टूर पैकेजक शुभारंभ केलक अछि। एक दिनक अहि टूरमे पटना सं पावापुरी आ पावापुरी सं ककोलतकें यात्रा तय। शनिदिन पर्यटन मंत्री अनिता देवी पर्यटन निगम मुख्यालय सं झंडा देखाकए बसकें रवाना केलनि। अहि टूरक फील दिन 41 यात्रीक संग बसक सब सीट भरल छल।

    पर्यटन मंत्री सुनीता देवी कहलनि जे, अहि सेवाक शुरूआत कएल गेल अछि, यदि ई सफल रहल त अहि सेवाक और विस्तार कएल जाएत। ई यात्रा प्रत्येक शनिदिन, रविदिन आ बादमे अन्य अवकाशक दिन संचालित कएल जाएत। अहि यात्रामे पटना सं पावापुरीक दूरी 3 घंटा आ पावापुरी सं ककलोतक दूरी 2 घंटामे तय कएल जाएत। बस ककोलत जलप्रपात 12:45 मिनट पर पहुंचत आ यात्रीकें 1 सं 4 बजे तक घूमबाक मौका देल जाएत।

    अहि पैकेज टूरक यात्रा भोरे 7 बजे प्रारंभ भए साँझ 8 बजे वापस पटना आबि कए संपन्न होएत। अहि पैकेज टूरक लेल प्रति व्यक्ति 350 रुपैया किराया राखल गेल अछि। यात्रीकें अहि यात्रामे एक बोलत सीलबंद पानि आ एकटा न्यूजपेपरक सुविधा देल जाएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here