अवैध संबंधक विरोध केला पर जिबैत जराओल गेली नव बिवाहिता

    0
    225

    दरभंगा, मिथिला मिरर: थाना क्षेत्रक महथौड़ गाममे अवैध संबंधक विरोध करए पर एकटा विवाहिताकें जिबैत जरा कए मारि देल गेल। विवाहिताक मौतके बाद परिवारक सब सदस्य फरार बताओल जा रहल अछि। पुलिस लहासकेँ कब्जामे लए पोस्टमार्टमक लेल डीएमसीएच पठा देलक अछि। थानाध्यक्ष कौशल कुमार कहलनि जे, घटनास्थल सं विवाहिताकें जरा कय मारबाक साक्ष्य बरामद भेल अछि।

    अहि संबंधमे मृतकाक माँ इन्दू देवीके बयान पर मामला दर्ज कएल गेल अछि। अहिमे पति कन्हाई सिंह, ससुर सियाराम  सिंह, भैंसुर जितेन्द्र सिंह, सासु प्रमिला देवीकें अभियुक्त बनाओल गेल अछि। पुलिस आरोपीकें गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कए रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार महथौड़ गम निवासी कन्हाई सिंह  बृहस्पति दिन अपन पत्नी सोनी देवीकें मटिया तेल ढारि कए जिबैत जरा देलक। सोना अहि गामक दोसर टोलक निवासी त्रिलोकी सिंहक पुत्री छल। मृतकक बियाह तीन साल पहिने भेल छल। मृतककें मात्र एतबे दोख छल जे, ओ अप्पन पतिकेँ दोसर महिला सं अवैध संबंधक विरोध करैत छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here