अनियंत्रित ट्रैक्टर आ टेम्पूक ठोकर सं दू गोट छात्राक मौत, दर्जनो घायल

    0
    191

    बेगूसराय, मिथिला मिरर:बेगूसरायमे छात्र-छात्रा सं भरल टेम्पू एनएच 31 पर अनियंत्रित ट्रैक्टर सं टकरा गेल। अहि टक्करमे इंटरकें आठ गोट छात्र-छात्रा गंभीर रूप सं घायल भए गेल अछि। सबके इलाजक लेल सदर अस्पताल पठाओल गेल अछि। इलाजक दौरान सदर अस्पतालमे अंकर महतोक 20 वर्षीय पुत्री ऋतु कुमारी आ रामबालक महतोक 16 वर्षीय पुत्री अंजू कुमारीक मौत भए गेल।

    घायलमे रतन महतोक 18 वर्षीय पुत्री काजल कुमारी, अंकर महतोक 20 वर्षीया पुत्री ऋतु कुमारी, विद्यानंद महतोक 20 वर्षीय पुत्र अंकुश कुमार, खेखर महतोक 18 वर्षीय पुत्री रवीना कुमारी, सतीश महतोक 16 वर्षीय पुत्री शालिनी कुमारी, स्व आजादी महतोक 18 वर्षीय पुत्री नीतू कुमारी, रामबालक महतोक 16 वर्षीय पुत्री अंजू कुमारी आ कैलाश महतोक 20 वर्षीय पुत्र अजय कुमार शामिल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here