प्रधानाचार्य सहित सात गोट शिक्षाकर्मीक निलंबन रद्द

    0
    205

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयमे बृहस्पति दिन दू टा प्रधानाचार्य सहित सात शिक्षाकर्मीक निलंबन वापस करैत पदस्थापन कएल गेल। विश्वविद्यालय सिंडिकेट एकर पहिने मंजूरी दए देने छल। पीआरओ डॉ. एन.के अग्रवाल कहलनि जे, डॉ. डीसी चौधरीकें मारवाड़ी महाविद्यालयमे प्रधानचार्यक पद पर पदस्थापित कएल गेल अछि तथा डॉ. मुस्ताक अहमदकें एमएलएसएम कॉलेजमे पदस्थापित कएल गेल। डॉ. मुस्ताकके संबंधमे डॉ. अग्रवाल कहलनि जे, योगदान करबा सं पहिने हुनका लग पूर्वके महाविद्यालयकें जे राशि अछि ओ जमा करए पडत।

    मुस्ताककें विरूद्ध लागल आरोपोंक जांचके लेल तीन सदस्यीय तकनीकि कमिटि बनाओल गेल अछि। जाहिमे राज्य सरकारक कार्यपालक अभियंता या अधीक्षण अभियंता विश्वविद्यालय अभियंताक संग स्टेट फाइनांसके एकटा सदस्य सेहो रहत। डॉ. अग्रवाल कहलनि जे, अवकाश प्राप्त कए चुकल डॉ. विजय प्रसाद सिंह आ डॉ. एससी मिश्राकें निलंबन मुक्त कए देल गेल अछि।

    ओतहि डॉ. अशोक कुमार झाकें पुन: सीएम साइंस कॉलेजमे पदस्थाति कएल गेल, मुदा निलंबन अवधिकें एक्स्ट्रा आॅडिनरी अवकाश या फेर लीव विदाउट पे मानल जाएत। डॉ. स्वतंतेश्वर झाकें स्रातकोत्तर रसायन विभाग आ डॉ. ए.के बच्चनकें स्रातकोत्तर अंग्रेजी विभागमे पदस्थापित कएल गेल। कुलपति प्रो. सुरेन्द्र कुमार सिंहके आदेशक बाद कुलसचिव मुस्तफा कमाल अंसारी बृहस्पति दिन अधिसूचना जारी केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here