निर्विरोध निर्वाचित हेतीह वार्ड नंबर 47 कें वर्तमान पार्षद आशुतोषक माँ मंजू देवी

    0
    220

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा नगर निगम चुनावक नामांकन भरबाक अंतिम दिन समाप्त भेल। नामांकनकें बाद वार्ड नंबर 47 सं निवर्तंमान पार्षद आशुतोष कुमारक माँ मंजू देवी निर्विरोध चुनल जेतीह। हुनकर विरोधमे कियो नामांकन दाखिल नहि केलक अछि। भाजपा युवा मोर्चाके पूर्व जिलाध्यक्ष शिशिर झा बधाई दैत कहलनि जे, ई निश्चित रूप सं आशुतोषके द्वारा वार्डमे कराओल गेल विकास आ स्थानीय मतदातामे हुनकर प्रति आस्था आ विश्वासक आईना अछि।

    भाजपा जिला उपाध्यक्ष अशोक नायक कहलनि जे, दिल्ली एमसीडीके बाद दरभंगा नगर निगममे सेहो भाजपाक परचम लहरायत आ अहि जीतक संग एकर शुरुआत भए गेल अछि। पूर्व मेयर अजय पासवान सेहो बधाई दैत आशुतोष कुमारक लोकप्रिय छविक नतीजा बतेलनि।

    भाजपा महामंत्री आदित्य नारायण मन्ना, मीडिया प्रभारी अमलेश झा, मुकुन्द चौधरी, रामाशंकर ठाकुर, अनिल कुंवर, अभ्यानंद झा आदि अहि उपलब्धि पर आशुतोष कुमार एवं हुंकार माँ अंजू देवीकें बधाई देलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here