समाहरणालय पर विस्थापित दोकानदार आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन

    0
    216

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: शहरक ताजपुर रोड पर प्रशासन द्वारा अतिक्रमण हटेबाक बाद विस्थापित दोकानदार बृहस्पति दिन समाहरणालयके समक्ष आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन केलक। प्रदर्शनकारी बादमे सरकारी बस पड़ावमे धरना पर बैसल। अहि सं पहिने व्यवसायी फुटकर विक्रेता संघक बैनर तर कर्पूरी बस पड़ाव सं विशाल जुलूस निकाललक। जुलूस विभिन्न मार्ग सं होइत समाहरणालय मुख्य द्वारि पर पहुंचल।

    सरकारी बस पड़ावमे धरना पर बैसल सभाक अध्यक्षता सीटूके राज्य उपाध्यक्ष डॉ. एसएमए इमाम नेकेलनि। सभामे वक्ता सब विस्थापित दोकानदारकें वेंडर स्ट्रीट अधिनियमक धारा 3/2014 कें तहत स्थान आवंटित करबा आ मछली विक्रेताकें वैकल्पिक व्यवस्था हेबा तक पूर्वक स्थान पर दोकान लगेबाक अनुमति देबाक मांग केलनि।

    वक्ता कहलनि जे, दोकानदार पिछला 25 वर्ष सं फुटपाथ पर दोकान लगा जीवनयापन कए रहल अछि। दोकान हटा देला सं रोजी-रोटी छिना गेल अछि। 30 अप्रैल तक मांग पूरा नहि भेला पर 11 मई सं आमरण अनशन करबाक बात कहल गेल। प्रदर्शनकारी सब प्रतिनियुक्त दंडाधिकारीकें मांग सं संबंधित एकटा ज्ञापन सौंपलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here