समस्तीपुरमे होमगार्डक जवानकें जिबैत गाड़बाक प्रयास

    0
    211

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे एकटा होमगार्ड जवानकें आपसी विवादमे धारदार हथियार सं हमला कए जिबैत दफनेबाक सनसनीखेज मामला सामने आएल अछि। मामला जिलाक मुफ्फसिल थानाक पोखड़ेरा गामकें अछि।

    बुधदिन देर साँझ दामोदर पोद्दार नामक होमगार्ड जवानकें गामक सकलू पासवान किछु कागज पढ़बाक बहन्ने घर बजेलक। होमगार्ड जवान कागज पढ़ब शुरू केलक कि घरमे बनल खाईधमे धक्का दए खसा देलक आ ऊपर सं माइट देनाइ शुरू कएल गेल। विरोध करबा पर होमगार्ड जवान पर धारदार हथियार सं हमला कए गंभीर रूप सं घायल कए देल गेल, जाहिकेँ बाद स्थानीय ग्रामीण इलाजक लेल होमगार्डके सदर अस्पतालमे भर्ती करेलक अछि।

    हालांकि मुफ्फसिल थानाकें प्रभारी कुमार कृति अहि तरहक घटना सं साफ मना केलनि अछि। अहि मामलामे कियो एखन धरि मुकदमा नहि दर्ज करेलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here