पूनम पराशर झा भऽ सकैत छथि उत्तरी दिल्ली नगर निगमक मेयर

    0
    285

    दिल्ली-मिथिला मिररः दिल्ली नगर निगम चुनावमे भेटल अपार जनसमर्थनक बाद भारतीय जनता पार्टी अहि बातक मोन बना चुकल अछि जे अहि बेर तीनू नगर निगममे महिला मेयर बनाओल जाए। दिल्लीक जनता भारतीय जनता पार्टीकेँ नगर निगम चुनावमे अपार जनसमर्थन दैत, पार्टी पर जिम्मेदारीक बोझ सेहो थोइप देलक अछि। जौं पार्टी अहि बोझकेँ सफलता पूर्वक निर्वहन करैत अछि तँ निश्चितरूपहि एकर नीक परिणाम आगामी लोकसभा आ ओहिकेँ बाद दिल्ली विधानसभा चुनावमे देखैमे भेटत। जीतक बाद दिल्ली भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी अपन जीतल प्रतिनिधि सबसँ भेंट कऽ रहला अछि। भापजा जल्दीये अपन जीतल समस्त पार्षदकेँ दू दिवसीय प्रशिक्षण सेहो देत।

    उत्तरी दिल्ली नगर निगम सँ मैथिलक लेल एकटा नीक खबैर आबि रहल अछि जे अहिठाम पार्टी किराड़ी सँ पार्टीक पूर्व विधायक अनिल झा ‘वत्स’क कनिया पूनम पराशर झाकेँ मेयर बना सकैत अछि। पार्टी ओहन चेहराकेँ ताकि रहल अछि जेकरा संगठनमे कार्य करवाक अनुभव हो, जे बढि़यासँ पार्टीक बात जनता तक राखि सकैय। हालांकि उत्तरी दिल्लीमे पूनम पराशरक संग-संग प्रीति अग्रवाल सेहो मेयर बनवाकरेसमे छथि, मुदा पूनम लग छात्र राजनीतिकेँ सेहो अनुभव छैन्ह आ ओकरा अलावे हुनक पति अनिल झा दिल्ली विश्वविद्यालय छात्र संघक अध्यक्ष आ दिल्ली विधायक सेहो रहि चुकल छैथ। अहि कारणेँ पूनम लग नेतृत्व करवाक क्षमता बहुत बेसी छैन्ह। जहिना मिथिला मिरर, मनोज तिवारीकेँ दिल्ली प्रदेश भाजपा अध्यक्ष हेवाक भविष्यवाणी केने छल, तहिला पूनमक मेयर बनवाक सेहो भविष्यवाणी कऽ रहलअछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here