‘खुलेमे शौच मुक्त’ पंचायतकें भेटत तीन करोड़ रुपैया : एसडीएम

    0
    188

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: स्वच्छ भारत मिशन एवं लोहिया स्वच्छता अभियानकें तहत सोमदिन पुपरीकें झझिहट पंचायतकें ‘खुलेमे शौच मुक्त’ घोषित कएल गेल। पंचायत भवनमे आयोजित समारोहमे एसडीएम किशोर कुमार सब पंचायत प्रतिनिधि, संबंधित अधिकारी एवं कर्मीकेँ बधाई दैत अहि बातकेँ गर्वक विषय बतौलनि।

    ओ कहलनि जे, शौचालय निर्माणक लेल रुपैयाक कोनो कमी नहि अछि। मुदा एतय लोकमे इच्छा शक्तिक कमी देखल जा रहल अछि। लोक निजी जीवनमे जरूरतकें सब काज करैत अछि, मुदा जहन शौचालय निर्माणक बात अबैत अछि त कियो रुपैया आ कियो जमीन नहि हेबाक बात कहैत अछि।

    ओ शौचालयकें महत्ता सं अवगत करबैत प्राथमिकताक संग शौचालय बनेबाक अपील केलनि। ओ कहलनि जे, यदि पंचायत ‘खुलेमे शौच मुक्त’ भए जाए त सरकार तीन करोड़ रुपैया विकास काजक लेल देत। जाहि सं पंचायतक कायाकल्प भए जाएत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here