जयनगरमे किराना व्यवसायीकें गोली मारिकए हत्या

    0
    199

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक जयनगर बस्ती निवासी आ किराना व्यवसायी 55 वर्षीय राम विलास कापड़ीकें जयनगर सुभाष चौक पर अपराधी गोली मारिकय हत्या कय देलक। घटना मंगलदिनक अछि। घटना तहन भेल जहन राम विलास दोकान सं घर जा रहल छल। पहिने सं घात लगा कए बैसल पराधी राम विलासकेँ सीनामे गोली मारलक आ भागि गेल। आनन-फाननमे राम विलासकें अनुमंडल अस्पताल आनल गेल जतय डॉक्टर व्यवसायीकें मृत घोषित कए देलक।

    अनुमंडल अस्पताल परिसरमे लोकक भारी भीड़ जमा भए गेल। जयनगर थाना पुलिस मामलाक जांचमे जुटल अछि। एम्हर, लोक़ सब लहासकें शहीद चौक पर राखि सड़ककें जाम कए देलक। जयनगरमे मंगलदिन राति किराना व्यवसायी राम विलास कापड़ीक भेल हत्याक खिलाफ बुधदिन जयनगरक सारी दोकान बंद अछि। व्यवसायीकें हत्याराक गिरफ्तारी आ मृतकक परिजनकें उचित मुआवजाक मांगकें लए सड़क जाम कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here