समस्तीपुरमे पांचम दिन नगर परिषद् चुनावक नामांकन लेल उमड़ल भीड़

    0
    224

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: नगर परिषद चुनावक लेल सोमदिन 11 अभ्यर्थी नामांकनक पर्चा दाखिल केलनि। वार्ड संख्या एक सं रिंकू देवी, वार्ड संख्या तीन सं इश्तेयाक अहमद, वार्ड संख्या चारि सं सुनील पासवान, वार्ड संख्या 12 सं शोभानंद सुमन, वार्ड संख्या 15 सं नूतन कुमार, वार्ड संख्या 16 सं शंकर कुमार, वार्ड संख्या 18 सं निवर्तमान अध्यक्ष वीणा देवी, वार्ड संख्या 19 स जावेद हुसैन, वार्ड संख्या 21 सं राहुल कुमार, वार्ड संख्या 25 सं लक्ष्मी देवी तथा वार्ड संख्या 28 सं पुनम कुमारी नामांकन केलनि अछि।

    रोसड़ा, संस नगर पंचायत चुनावक लेल जारी नामांकन प्रक्रियाके बीच सोमदिन को एक दर्जन अभ्यर्थी नामजदगीक पर्चा दाखिल करौलनि। जाहिमे चारि गोट महिला शामिल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here