मुजफ्फरपुरमे आंधी-तूफान लेलक पांच गोटेक जान

    0
    233

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर:  रविदिन देर राति आएल भारी आंधी-तूफानमे जिलामे घर खसबाक सं पांच गोटेक मौत भए गेल। जाहिमे दू टा महिला, दू टा मासूम तथा एकटा युवती शामिल अछि। सकरा प्रखंडक सहदुलापुर गामक मो. अनवर हुसैनकें 45 वर्षीय पत्नी मोकिना खातून अपन पुत्र आ पुत्रीक संग सुतल छल। आंधी सं घरक देबाल ढहि गेल। जाहिमे दबला सं मोकीना आ ओकर पुत्री निकहत परवीनक मौत भए गेल तथा 14 वर्षीय पुत्र मो. महताब व शादाब घायल भए गेल।

    ओम्हर, अहि थाना क्षेत्रक मिश्रौलिया गाममे घर खसला सं 65 वर्षीय वर्षीय छट्ठू रायकें मौत भए गेल। अंचलाधिकरी सहित जनप्रतिनिधी गाम पहुंच कय घायलकें इलाजक लेल मुजफ्फरपुर पठाओल गेल।

    पारू प्रखंडक पारू महुवरिया टोलमे आधीमे शिवजी शर्माक घर पर सिमरक गाछ खसि पड़ल। जाहि सँ शिवजी शर्माक पत्‍‌नी सोनी देवी 28, पुत्र पवन कुमार 03 वर्षक घटनास्थल पर मौत भए गेल तथा शिवजी घायल भए गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here