नक्सली हमलामे सीआरपीएफकें 25 जवान शहीद, सात लापता

    0
    203

    मिथिला मिरर: छत्तीसगढ़कें सुकमा जिलामे सोमदिन घात लगा कए बैसल नक्सली सीआरपीएफकें जवान पर हमला कए देलक। जाहिमे 25 गोट जवान शहीद भए गेल आ सात गोट जवान एखनहु लापता बताओल जा रहल अछि। नक्सली लगभग 12.25 दुपहरमे हमला केलक, जाहि समय जवान भोजन कए रहल छल।

    घायल जवानकें हेलिकॉप्टर सं इलाजक लेल रायपुर हॉस्पिटलमे भर्ती कराओल गेल अछि। घटनाक बाद राज्यके मुख्यमंत्री रमण सिंह इमरजेंसी मीटिंग बजेलनि अछि। मुख्यमंत्री रमन सिंह अपन दिल्लीक कार्यक्रम रद्द करैत रायपुरके लेल रवाना भए गेलाह। बस्तर के आईजी विवेकानंद सिन्हा आ डीआईजी सुंदराज सेहो सुकमाके लेल रवाना भेलाह।

    राज्यक नक्सल मामलाक अतिरिक्त पुलिस महानिदेशक डीएम अवस्थी कहलनि जे, सुकमा जिलाक चिंतागुफा थाना क्षेत्रक अंतर्गत बुरकापालके करीब नक्सली पुलिस दल पर हमला केलक अछि। प्रधानमंत्री मोदी ट्वीट कए शहीद जवानक प्रति संवेदना व्यक्त केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here