सात करोड़क एलईडी घोटालामे सासारामकें मुख्य पार्षद सहित 5 पार्षद गिरफ्तार

    0
    175

    सासाराम, मिथिला मिरर: सासाराम जिलाक मुख्य पार्षद नाजिया बेगम, सशक्त स्थाई समितिक सदस्य विनोद कुमार तथा रीता देवीकें 7.4 करोड़ रुपैयाकेँ एलईडी घोटालाक आरोपमे निगरानी विभाग गिरफ्तार केलक अछि। हालाँकि दू टा अन्य सदस्यक गिरफ़्तारीक लेल एखनहु छापेमारी जारी अछि।

    गिरफ्तार तीनू आरोपीकें सासाराम मॉडल थानामे राखल गेल अछि। मुख्य पार्षद नाजियाकें गत वर्ष निगरानी विभाग अहि अनियमितताक कारण पद सं बर्खास्त केने छल। पार्षद सब पर 7.4 करोड़ रुपैयाक एलईडी घोटालाक आरोप अछि। निगरानी टीम गिरफ्तार आरोपी सं सघन पूछताछ कए रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here