बिहारकें विकासमे मैथिल सं योगदानक अपील केलनि नीतीश कुमार

    0
    214

    मुंबई, मिथिला मिरर: शनिदिन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन मुंबई दौराकें दौरान मैथिल समाजक लोक सं भेंट कए बिहारक विकासमे मैथिलकें लोगदान देबाक अपील केलनि। ओ कहलनि जे, बिहारी देशक सब कोनमे अप्पन ज्ञात आ क्षमताक लोहा मनबेलक अछि। देशमे कियो बिहारिक मददिकें बिना कोनो काज नहि कए सकैत अछि। ओ कहलनि जे, बिहारी ने ककरो पर निर्भर अछि आ ने ककरो पर बोझ।

    मैथिल समन्वय समिति द्वारा आयोजित कार्यक्रमकेँ संबोधित करैत बिहारक मुख्यमंत्री कहलनि जे, किछु लोक मुंबईमे बिहार स्थापना दिवसकें विरोध केलक मुदा ओहो आब शांत भए गेल अछि। नीतीश कुमार 2012 मे ठाकरे द्वारा चलाओल गेल अभियानक जिक्र कए रहल छलाह। ओ कहलनि जे, हमरा अप्पन उपलब्धिक प्रचार करबाक कोनो बेगरता नहि अछि। बिहारमे बदलाव महशूस कएल जा रहल अछि।

    मुख्यमंत्री अहि अवसर पर मैथिल समाजक वर-वधु परिचय दए वला स्मारिकाक लोकार्पण सेहो केलनि। अहि अवसर पर कार्यक्रममे समितिक अध्यक्ष आ संदीप विश्वविद्यालयकें चेयरमैन संदीप झा स्वं नीतीश कुमारक स्वागत केलनि। ओ कहलनि जे, शहरमे आठ लाख मैथिल अछि, समाजक लोक अप्पन मेहनतकें बलपर सफलताक मुकाम हाशिल केलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here