एसकेएमसीएचमे भारी हंगामा, मरीजकें रेफर करबाक विवादमे तोड़फोड़ आ आगजनी

    0
    175

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एसकेएमसीएच सं मरीजकें रेफर करबाक विवादमे ग्रामीण आ निजी एंबुलेंस संचालकक जूनियर डॉक्टर आ मेडिकल छात्रक संग जमिकय मारिपीट भेल। दुनू दिस सं आक्रोशके कारण एसकेएमसीएच परिसरमे आगि लगा देल गेल। परिसरमे राखल पांचटा एंबुलेंस आ एकटा मोटरसाइकिलकें जरा देल गेल।

    अहि बीच पांच गोट मेडिकल छात्र सहित एक दर्जन लोक घायल भेल। घायलमे दू टा छात्र आ एकटा ग्रामीणक हालत गंभीर अछि। उग्र भीड़ दिस सं फायरिगकें सेहो चर्चा अछि। हालांकि पुलिस अहि सं इन्कार केलक अछि। पुलिसक अनुसार गाड़ीके टायर फटबाक आवाज आएल छल। लोक सब एनएच 77 जाम करबाक संग परिसरमे लागल कैमरा सेहो तोड़ि देलक।

    हंगामाकें देखैत परिसरमे दंगा नियंत्रण बल तैनात कएल गेल अछि। अहि बीच ओतए रैपिड एक्शन पुलिसक तैनाती सेहो कएल गेल। एम्हर आइएमएके राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ. आरके अग्रवाल, राज्य सचिव डॉ. हरिहर दीक्षित एसकेएमसीएच उपाधीक्षक सं संपर्क कए रिपोर्ट तलब केलनि अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here