राशन कार्ड बनेबाक लेल 2 बजे राति सं लागैत अछि लाईन

    0
    188

    मधुबनी, मिथिला मिरर: पिछला दू महिना सं खाद्य सुरक्षा योजना सं वंचित लाभुककें राशन कार्ड बनेबाक लेल आवेदन अनुमंडल कार्यालय पर लेल जा रहल अछि। अहि दौरान भीड़मे कमी नहि भए रहल अछि। हालत ई बनल अछि जे, राशन कार्ड बनेबाक लेल लोक 2 बजे रतिये सं अनुमंडल कार्यालय पहुंच जाइत अछि। दूर-दूर तक महिला एवं महिलाक परिजनक भीड़ कतारमे लागल छल।

    दीपके जैवुल खातून, सहिदा खातून, समा खातून, रूकसाना खातून, खुशबू बेगम, झंझारपुर कोठियाक पूर्व पंचायत समिति सदस्य कुमकुम खातून, हैंठीवालीके प्रतिमा देवी, आनन्दी देवी, संगीता देवी सहित अन्य कहलनि जे, लंबा लाइन एवं रौंद सं बचबाक लेल भोरे आबए पड़ैत अछि।

    कतेक बेर त दू दिन  लाइनमे रहलाक बादो काज नहि होइत अछि। सब मिलि कए अनुमंडल प्रशासन सं मांग केलक अछि जे, बहुत देर धरि ठाढ़ हेबाक कारने लोक लेल कम सं कम कार्यालयके बाहर एकटा चापाकलक व्यवस्था हो जाहि सं लोक पानि पीबि सकए।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here