मुजफ्फरपुर नगर विधायक सुरेश कुमार शर्मा हटेलनि लालबत्ती

    0
    217

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: लालबत्ती पर केंद्र सरकारक फैसलाक बाद आब कोनो भी मंत्री एवं वीआइपीकें गाड़ी पर लाल बत्ती नहि लगाओल जाएत। केंद्र सरकारक अहि फैसलाक स्वागत करैत मुजफ्फरपुरकें नगर विधायक सह पर्यटन, उद्योग समितिकें सभापति सुरेश कुमार शर्मा बुधदिन अपन गाड़ी सं लालबत्ती हटा देलनि। ओ कहलनि जे, सरकारक अहि फैसला सं आम एवं खासके बीच खाई समाप्त भए जाएत।

    ओ कहलनि जे, अहि फैसलाक संदेश दूर-दूर तक जाएत। आम जनता सं वीआइपी तक एक सूत्रमे बन्हि जाएत, तखनहि अखंड भारतक निर्माण होएत। स्वागत करई वलामे वरिष्ठ भाजपा नेता मनोरंजन शाही, सत्य प्रकाश भारद्वाज, नीलेश शर्मा, संजय पासवान, मनीष कुमार सिंह आदि शामिल छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here