पारामेडिकल कर्मीक हड़ताल सं मरीज परेशान

    0
    224

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार चिकित्सा एवं जन स्वास्थ्य कर्मचारी संघकें आह्वान पर राज्यक पारामेडिकल कर्मीकें बुधदिन सं अनिश्चितकालीन हड़ताल पर गेलाक कारने मरीज परेशान अछि। अहिकेँ तहत एसकेएमसीएचके लैब टेक्नीशियन, ओटी असिस्टेंट, ईसीजी टेक्नीशियन, एक्स-रे टेक्नीशियन, फार्मासिस्ट एवं ड्रेसर सहित तीन दर्जन सं अधिक कर्मी अस्पतालके मुख्य द्वारि पर धरना दए रहल छथि। कर्मी समान काजक समान वेतनक संग स्थायी नियुक्तिक मांग कए रहल छथि।

    हड़ताल सं एसकेएमसीएचमे मरीजकेँ परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। बाह्य विभागक मरीजक ईसीजी सहित बहुतो जांच नहि भए पाबि रहल अछि। ओतहि अंत: कक्षमे भर्ती मरीजक शल्य काज नहि भए रहल अछि। इमरजेंसी वार्डकें छोड़ि कए सब ठाम सेवा बाधित अछि। हालांकि महाविद्यालयकें प्राचार्य डॉ. विकास कुमार एवं अस्पताल अधीक्षक डॉ. जीके ठाकुर सेवा दुरुस्त करबामे लागल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here