सन्त नगरकें वार्ड न.10 सं आभा झाक समर्थनमे जुटल मैथिल मतदाता

    0
    233

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्ली नगर निगम चुनावमे राष्ट्रीय पार्टी सं ऊपर उठि कए जं मैथिल प्रत्याशिक बात कएल जाए त सन्त नगरकें वार्ड न.10 सं स्वराज इंडियाक टिकट पर चुनाव लड़ि रहल आभा झाक खूब चर्चा भए रहल अछि। आभा झा दिल्लीमे मिथिला मैथिलीक सम्मानित अभियानी हेमंत झाक धर्मपत्नी छथि, जिनकर चुनाव चिन्ह ‘सीटी’ छन्हि। मैथिल वाहुल्य क्षेत्र हेबाक कारने संत नगरमे आजुक आभा झाकेँ सब पार्टी अप्पन पैघ प्रतिद्वंदी मानि रहल अछि।

    आभा झा कहै छथि जे, दिल्ली नगर निगम चुनावमे एतय लोक पार्टीक मोह सँ ऊपर उठि कए शैक्षणिक आ वैचारिक रूप सं सक्षम उमीदवारक पक्षमे मतदान करबाक लेल संकल्पित अछि। ज्ञात हो कि आभा झाक पति हेमंत झा मिथिला मैथिलीक लेल दिल्लीमे सक्रीय रूप सं कार्यरत छथि, जिनकर सामाजिक क्षेत्रमे सेहो नीक पकड़ छन्हि।

    आभा झा कें अनुसार हम सब अहि क्षेत्रक तकलीफ आ समस्या सं नीक जेना परिचित छी, एतयकें साफ़-सफाई, पानि, शिक्षा सहित विभिन्न समस्या हमर अपन घरक समस्या अछि। अहि समस्या सँ लड़बाक लेल हम सदैव तैयार रहलहुँ, आ रहब। आभा झा कहै छथि, एतुका जनताक उम्मीदकें नहि टुटए देबाक लेल संकल्पित छी, कोनो भी हालमे क्षेत्रक विकास एक मात्र हमर लक्ष्य अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here